• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
‘हम बाट तकैत रहबौ, एबेटा करिहे’

सन्दर्भः अन्तर्राष्ट्रीय नारी दिवस

श्यामसुन्दर यादव ‘पथिक’

DSC08930
श्यामसुन्दर यादव ‘पथिक’

प्रिय सखी ललिता
सु–मधुर याद
हम अहिठाम जेना–तेना जीनगी काइट रहल छियौ । तोहर कुशलता आ सुखी जीवनके लेल ईश्वरसँ दुनु हाथ जोडि कए कामना करैत छियौ ।
गै हम त एखन अप्पन सासुरमे नारकीय जीवन बितारहल छियौ । कतेक पीडा–बेदना आ गञ्जन सहि रहल छियौ ओ सभटा बात पत्रमे त सम्भव नहि छै मुदा आइ अपन दिलक किछु बात एहि पत्रक माध्यमसँ लिख रहल छियौ । हमर बाबुजीक आर्थिक अवस्था आऽ लाचारीपनाके विषयमे तोरा त बुझले छौ । कतेक दुःख काइट, कतए कतए जा कए दहेजक टका प्रबन्ध कएने छलै । हम त बाबुजी कहैत रहियै कमसे कम हमरा उच्च शिक्षा हासिल करए दीअ मुदा ओ सभ हमर बातके नहि धीआन देलक । कहलक जे लडका ओभरसियरी क कए प्राइभेटमे काज क रहल छै आ देखएमे सेहो बड्ड सुन्दर छै । एहेन सु–अवसर किया छोडब ? दहेजक लेल नगद तीन लाख टका, अन्य सरसामानसहित एकटा मोटरसाइकिलके माग भेल छल ।
दहेजक फरमाइस पूर्ती करए हमर बाबुजी पाँच कट्ठा गोँडहा खेत बेच देलक । खौब धुमधाम सऽ बिआह भेल । ओना त हम ततेक नहि बुझैत छलियै । यद्यपी बिआहके बात सुनि हम सेहो खुशीये छलियै । तैं बाबु–मायक बातके प्रतिवाद नहि क’ सकलियै । दहेजक रुपमे माग भेल टका सहित सभ सामान पूर्तिक कए देलक मुदा मोटरसाइकील बादमे देब से बाबुजी प्रतिवद्धता कएने छल । बिआहक किछु महिनाधरि त हमरा सासुरमे बड्ड मलार दुलार भेलौ । सासु ससुर सेहो बड्ड मानैत छल । हमरा त एना बुझाइत छल जे हमरा हम स्वर्गक संसारमे आबि गेल छी । कनियो माय बाबुजीक रिक्तताक आभास नहि होइत छल । घरवाला सेहो जान सऽ बढि कए मानैत छल । हुनक प्यारमे हम दुनियाक सभ किछु भुइल जाइत छलौं । ओ हमरा एतेक खुशी दैत छल से बात हमरा पत्रमे लिखनाइ सम्भव नहि छौ । दुनियाँके सारा खुशी हमरा मिलल छल ।
गै, कि कहियौ ? ओ खुशीक क्षण नहि रहि गेलौ । एखन हमरा एना बुझाइय जे हम कोन नरकमे चलि आएल छी । कोन जनमके पाप कएने छलौ जे हमरा एहेन दर्द सहए पडि रहल अछि । KG17-Makhan
बिआहक तीन चारि महिना बाद हमर खुशीक संसारमे अगडाही लागि गेलौ । एकर एक मात्र कारण छल दहेज । अर्थात दहेजक रुपमे गछल गेल मोटरसाइकिल बाबुजी नहि द सकलाक बाद हम एखन सासु, ससुर आऽ घरवालाक लेल अप्रिय बनि गेल छी । बिआहक तीन महिनाक बाद सासु दहेजक मोटरसाइकीलक चर्चा करए लागल । ओ हमर ससुरके सेहो अपना पक्षमे ल कए हमरा उलहन उपराग देनाइ शुरु क देलक । नैहरास मोटरसाइकील आनवाक लेल मानसिक पीडा थपैत गेल । हम बाध्य भऽ गाम जा कए बाबु मायके सभटा बात कहलियैन्ह । घरक आर्थिक जर्जरता, गम्भीर बिमार माय आ हमर पीडा सुनि कए बाबुजी कानए लागलखिन्ह । हम सेहो स्तब्ध भ गेलियै । हमरो नहि रहल गेल । घारमे घार मिलाकए बाबु, माय आऽ हम खुब कानलौं । बाबुजी कनैत कहलैन्हि ‘साबित्री, तोहर बिआहमे गोँडहा खेत बेचए पडल । पाँच कट्ठा डिह मध्ये दू कट्ठा मायक ईलाजमे बिका गेल । एखनो मायक अवस्था ओहने छौ, बौआ बालगोबिन्द आ जानकीक पढाइक खर्च जुटबए परैय । एखन आरा मीलमे काज करैत छी आ वैह टका स जेनातेना गुजारा चलाबए पडि रहल अछि । तों सम्धी, सम्धीन आ दुल्हाके कहि दीहै जे हमर बाबुजी बिआहमे गछलाहा मोटरसाइकिल किछु महिनाबाद खरिद देत । एखन लाचारी छै ।
बाबुजीक दुःखडा सुनि हम किछु नहि बाजि सकलौं । पुनः लौटके सासुर एलौ, नैहरक समस्या सुनेला पर हमर घरवाला आ सासु मिल कए निर्घात माइरपीट कएलक । हम सहैत रहि गेलौं, ओ सभ हमर देहपर लात मुक्का बरसावैत रहि गेल । बाबु मायक अवस्था देखि कए गञ्जन सहैत रहलौं । एकोबेर हमरा सासु, ससुर आ घरवाला निक बात नहि कहैत छौ । काल्हिधरि जे घरबाला हमरा अपन जान सऽ बढि कए मानैत छल आइ वैह घरबाला दहेजक कारण बिरान बनि गेल अछि । हम एतेक अप्रिय भ गेलियौ जे हमरे बाबुजीक देलहा पलङ्गपर ओ सुतैत छथि आ हम निचामे अछुत जँका गोनैर पर कहुना कहुना राइत बितबए छी । एतबे नहि, कखनोकाल हमर घरवाला हमरासँ बातो क लैत अछि त सासु दहेजक उपराग द कए हुनका मोनके घुमा दैत अछि । कोनो न कोनो बहाना बना कए सासु हमर घरवालासँ माइर खुआवैत रहैय । एखनधरि सभकिछु हम वरण करैत जा रहल छियौ । Mithila Purchases 1-2-10 014
ललिता, एखन त हमर सासु हमर घरवालाके सिखा पढा कए तुल क देने छथि । दोसर शादी करए लेल सेहो कहि रहल अछि । बेर–बेर हमरा घरस निकालएके प्रयास कएल जा रहल अछि । एकबेर त हमर घरवाला घरमे नहि छल, हमर सासु हमरा सुतल अवस्थामे बिछाओनमे मट्टितेल छिट कए आगि लगा देलक । हम निन्दमे रही, देहमे आगि लागल छल । शरिरक किछु भाग जख्मी भऽ गेल । अस्पताल पहुँचाओल गेल । एक सप्ताहक बाद अस्पतालस पूर्जी काटलक । हमर पुतौह देहमे मटिया तेल ढाइर आइग लगाकए आत्महत्या करैत छल से कहि नवका प्रपञ्च रचि हमर सासु लोकसभके पतियावैत छथि । घरक बात छी केकरा कही, लोक नहि निक कहत, यैह सोचि चुप रहि गेलौं ।
एहि घटनाके बाद हमर देह झामर भऽ गेल छौ । हमर जीवनसँगी सेहो आब हमरा आओर गलत नजरि सऽ देखए लागल छथि । हम कि करी आ नै करी, किछु नहि फुराइय । बाबुमायके अपन बेदना सुना कए हुनका सभके दिमागक बोझ नहि बनए चाहैत छी । बेर–बेर हमरा घरस निकालल जा रहल छियौ, हम घुरि कए पुनः आबि नारकीय जीवन बिता रहल छियौ ।
आखिर आब कि करी ? जिनगी बोझ बुझाइत रहैय । कखनोकाल ईहो मोन होइत रहैय जे जिनगी समाप्त क ली । मुदा जिनगी समाप्त केनाइ त जीनगीस हार माननाइ थिक । तैं हम जिनगीस’ कदापी हार नहि मानएके पक्षमे छी । कियाक त हम मानव छी । जाधरि जीयब ताधरि संघर्ष करब । समाजक लोक सेहो केहेन संवेदना विहिन छै से तोरा बुझले छौ । दहेज प्रथाक कारणसऽ कतेको महिलाके आगि लगाकए जराओल जा रहल छै । हँसी–खुशी सऽ जीनगी जिबएके लालसा होेइतो अकालमे बिभिन्न बहानामे मारल जा रहल छैक ।
एखनो समाजमे गाय महीस जँका लडकाक खरिद बिक्री भ रहल छैक । जे लडका जतेक चेतनशील अर्थात जतेक पढहल ततेक दाम । पशु जँका खरिद बिक्रीक व्यापार कहियाधरि चलैत रहत ? मानव सृष्टिमे महिला आ पुरुष दूटा मात्र जाति रहितो महिलाप्रति एहेन बिभेद कियाक ? हँ गै ललिता, एखनो हमर तोहर समाजमे दहेजेक कारण कतेको बेटीसभक बिआह नहि भ पाबि रहल अछि । देखादेखि सभक आँखिक सामने अन्याय भ रहल अछि । एहन कु–प्रथा अन्त्य करबाक नाममे प्रत्येक साल करोडो टका खर्च भ रहल अछि मुदा प्रतिफल शुन्य अछि । अपनाके अभियानी कहएवाला व्यक्तिसभ स्वयं दहेज लेनदेनके प्रतिष्ठा बुझि कारोबार क रहल अछि । कानून त बनल अछि मुदा रक्षके भक्षक बनल अछि । आखिर केकरापर आश करब ? समाजक एहेन रित देखिकए आओर चिन्ता लागैत रहैय । सभकेओ पुरुषके गाइर मात्र पढैत रहैत छी मुदा आइ हम अपन सासु अर्थात महिलेद्वारा पीडित छी । कियाक त सदिखन दहेजक बात हमर साउसे करैत रहैत अछि । Mithila_image-ex8
ललिता, हमरा पीडा असहय भेलाक बाद आइ मोनक बात चिट्ठीक माध्यमस लिखए लेल बाध्य भ गेलियौ । गै तुँ त हमर अति निकटके सँगी छी ने । तैं तोरालग एकता प्रस्ताव राखि रहल छियौ । हमरा पूर्ण रुपेण विश्वास अछि । तों पूरा करबिही । हमरा पता चलल जे तोरो घरवाला दहेजक कारण सऽ तोरा छोडि देने छौ । एखन गामेमे मजदुरी क कए गुजारा चला रहल छे । आब किछु करए पडतौ । हम तुँ जे दुःख झेल रहल छी एकरा आब अन्त्य करए खातिर शसक्त अभियान चलाबए पडतौ । कियाक त एनजिओवादीसभ एखनधरि स्वार्थसिद्धि मात्र कएलक अछि । तैं डलरबादीसभके पाछाँ छोडि हमरे तोरे अभियानके आगु बढबए परतौ । हम सेहो एहि नारकीय पारिवारिक जीवनस एहिबेरक अन्तराष्ट्रिय नारी दिवसके अवसरमे माथमे ललका कपडा बाँधि उन्मुक्त भ अभियानमे जुटबाक सोच बनौने छियौ ।
नहि चाही एहन सामाजिक कुसंस्कार एवम् मानवता बिरोधी क्रियाकलाप । जा धरि जीयव सामाजिक बिकृति विरुद्धक अभियानमे जुटब । दुलहा खरिद बिक्री करएवाला आ दहेजक दानवके समाजस मेटाय क’ रहब । गै ललिता, एहन नारकीय जीनगी जी के कि करबे ? तैं आब देरी नहि कर जुटि जो अभियानमे । हँ, एकटा बात याद रखिहे नारी दिवसक दिन गामक पुरनी पोखैरपर भिनसरे ठिक चाइर बजे अबिहे । हम ओहिठाम बाट तकैत रहबौ । गै घरस आबएकाल किछु नहि लिहे । बस एकटा झोरामे कलम आ डायरी ल लिहे ।
ललिता, चिठि सेहो नम्हर भ रहल छै । अभियानेके क्रममे आओर विशेष बात करबे करबौ । सप्पत हमर तों ठिक समयपर एबेटा करिहे । हम बाट तकैत रहबौ । एखनके लेल एतबे ।
   तोहर सखी
                                                                                                                                                              साबित्री