• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
हम सब छी बहुभाषी यौ

मुरलीधर

हम नै पहड़िया हम नै मदेसिया

हम छी नेपालक वासी यौ
मूल हमर पहिचान नेपालक
हम सब छी बहुभाषी यौ

रंग बिरंगक भेषभूषा
भाषा खान पान यौ
सबहक अप्पन रीत थित
अपन अपन पहचान यौ

हमछी मैथिली भाषी यौ
हम भोजपुरिया भाषी यौ
हमछी अवधी भाषीयौ
हम सतार,थारू भाषी यौ
हम नेवारी ज्यापू भाषी यौ
हम तामांग लिम्बू भाषी यौ
हम मगर गुरुंग भाषी यौ

हमसब छी नेपाली भाषीयौ

(पोशाक दिवसक अवसरमे वरिष्ठ कलाकर्मी एवम् साहित्यकर्मी मुरलीधरद्वारा सम्प्रेषित सिर्जना )