• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
हमर बहिनक आश

भूपनारायण यादव

आइ आस लगा कए बैसल हेतीह बहिन हमर
एयत कखन सनेस ल’ कए भैया हमर
दौडैत– दौडैत डोढी पर जाइत होयत भागीन हमर
आस लगा कए, अबैत होयत मामा हमर

सबेर उठिकए निपने होयत अँगना, लगौने होयत चौका
बहुतरास बनौने हेतीह खानाके परिकार
होयत भूखल आस लगौने, अबैत होयत हेताह भैया हमर
बहीनस’ पूछैत होयत कखन आएत मामा हमर

भ’ गेल बहुत अबेर आब, परि गेल साँझ आब
टूईट गेल होयत बहीनक आश, नहि आएत आब भैया हमर
कनसुख्खु भ’ गेल होयत भागीन हमर
देखिकए परोसीक घरमे मेजवान भार

माफ करि दे गे बहीन हमर
एमरीबेर छियो बहुत दूर हम
अगिला बेर भरदूतियामे ऐबो जरुर
समझा कए रखिहे हमर भागीनके
कहिहे अगिला बेर एतो तोहर मामा जरुर

मलेकपुर–५ खुरहुरिया
हाल– मण्डी गोबिन्दगड पञ्जाब