• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
लहानक मनकामना ईस्कूलमे मैथिली वक्तृत्वकला

दिनेश रसिया,
लहान, २३ माघ । सिरहाक लहान मनकामना सेकेन्ड्री बोर्डिङ ईस्कूलमे शुक्रदिन मैथिली भाषामे वक्तृत्वकला सम्पन्न भेल अछी ।
एक डेग मिथिलाक विकासक लेल मुल नाराके सङ्ग मिथिला स्टुडेन्ट युनियन नेपालद्वारा हम आ हमर पहिचान शिर्षकमे सम्पन्न प्रतियोगितामे स्कूल भित्ररके १५ गोटे छात्र –छात्रा सहभागीता जनौने छल । विद्यालयमे पढाइ होयवाला अन्य विषय सभ सङ्गहि मैथिली विषय सेहो समावेश करवाक उद्देश्यक सङ्ग प्रतियोगितामे प्रथम, द्वितीय आ तृतीय जिबछ यादब, जिया यादब, बिरेन्द्र यादब भेल छल ।
विद्यालयक प्रिन्सिपल बद्रीनारायण चौधरीक अध्यक्षता एवम् जिबछ उदासीक प्रमुख आतिथ्यमे आ’ अर्जुन प्रसाद गुप्ता दर्दिलाके आतिथ्यमे सम्पन्न प्रतियोगितामे सहभागी सबगोटेके प्रमाणपत्रसहित  पुरस्कार प्रदान कएल गेल ।
कार्यक्रममे प्रतिभाशाली गायक तेजु मैथिलके गीत आ नारायन मधुशाला, हृदय सुमन, गजेन्द्र गजुर, धीरेन्द्र प्रमर्षिके कविता बाचन कएल गेल । विद्यालयके प्रधानाध्यापक चौधरीके अनुसार आब आबएबाला वर्ष सँ विद्यालयमे ५० अङ्कके मैथिली भाषाक पुस्तक प्राथमिक तहमे लागु करबाक प्रतिबद्धता जनौलन्हि । 12651221_491257997724401_5266059141553231552_n
कार्यक्रममे रितेश मैथिल, सृजना गजमेर, अनिल महतो, जयकान्त मैथिल, गायत्री सिंह, पत्रकार नरेशचन्द्र बरबरिया, पत्रकार महेश सिह, गौरीनारायण ठाकुर, अमरेश महतो, विद्यालयके शिक्षक शिक्षिकाके उत्साहजनक उपस्थिति रहल छल । कार्यक्रम सञ्चालन नारायण मधुशाला केने छल ।