• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
हमर सजनी

भूपनारायण यादव

जल्दी स’ आबु यै सजनी,
असगर जियब कोना ई जिनगी ।
अहीँके आशमे रहैत छी हम,
बिन आहाँके जियब कोना हम ।

आहाँ बिना केओ नहि हमरा
हमर जिन्दगीके अहीँटा सहरा
आँहाके देख जिव लेब जिन्दगी
जल्दी स’ आबि जाउ यै सजनी

आहाँ बिन जिन्दा लास बनल छी
अहींके बाट सदिखन देखैत रहैत छी
जल्दी आबि जाउ यै सजनी
आहाँ बिना कोना हम जियब जिनगी

खुरहुरिया—५ सप्तरी (हाल पञ्जाब भारत)