पुछैय हमर नैन

पुछैय हमर नैन
Bwtech New Add With Software & Bull SMS

-प्रेमी रविन्द्र 

आँखिमें सपना सबकें देखली
देखली बिहुसल कतेककें मन
मतलबकें बनल इ दुनियामें
तरसल या हमरो दुनु नैन

फुल त फुले होइत अछि
मुदा किया लगैत अछि कॉट
अपनों सब बिरान लागल
जखन अपन लगैत छल आन

सिसैक सिसैक कनैत रहलौं
भटकलौं हम पागल बैन्न
अपने जालमें फसली जेनाकी
मिलल नै कतौ कनियो चैन

निर्दोष रहितो दोषी बनली
कुहकल आत्मा कोइली बैन्न
धर्म ककें अधर्मी कहैली
लागल जिनगीमें दाग एहन

प्रेम किया छल हमरा अतेक
नै सम्झे सकल छी हम
समझा सकी छी त समझादेव
अहाँसॅ पुछैय हमर नैन

सिंहासनी-७ महोत्तरी नेपाल
हाल:-मलेशिया

Online Saptari
Online Saptari

About The Author

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *