• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
दोहा कतारक धर्तीपर मैथिली साँझ २०१६

दोहा कतारक सर जमीन पर मैथिली गीत–सङ्गीत आ नृत्यक १० बर्षके इतिहास अछि । पहिल बेर सन २००६ में मैथिली गीत–सङ्गीतके बिगुल बाजल आ निरन्तर ई यात्रा चलैत रहल ।
बितल १० वरिषमें दोहा कÞतारमें मैथिली गीत–सङ्गीत, नृत्य आ प्रहसनके माध्यमसँ सयकड़ों कार्यक्रम आ हजारों कलाकारसब अपन अपन कला आ’ अभिनयके माध्यमस’ आप्रवासी अपन गामक लोक आ’ किछ पाहुन सभक मोन बहलबैत मनोरञ्जन प्रदान कयल गेल तथ्य थिक ।
पहिल बेर दोहा कÞतारमें भेल मैथिली कार्यक्रममें मैथिली क्षेत्रक बहुचर्चित ब्यक्तित्व सब धीरेन्द्र प्रेमर्षि, सुनील मल्लिक, आभाष लाभ, सङ्गीता देव, रूपा झा, पूनम ढकाल लगायत के कलाकार सब अपन गीत सङ्गीतके जादू चलाबयमें सफल भेला उपरान्त ई यात्रा गति लेलक । तहन धीरे धीरे आयोजक सब अपन हिम्मत आ डार मजबूत कयल आ मैथिलमय बनैत चल गेल दोहा कÞतार ।
कहियो ईद बकरीद, त कहियो नेशनल डे आ कहियो आन कोनो बहानामें दोहा सरकारसँ अनुमती लैत ई कार्यक्रम सभक आयोजन कयल जा रहल तथ्य अछि । बहुतरास कार्यक्रममें बेश चर्चित कलाकार सब बेर–बेर आबयमें सफल सेहो भेलाह । जेना कि राम नारायण ठाकुर, रबिन्द्र झा, प्रियंका झाक जोड़ी चर्चित हाँस्य कोमेडीके रूपमें जानल जाइत अछि । रीना यादव आ बी. एन. पटेलके रामौल बाली खूब प्रशंसा बटुललक अछि । तैं रमौलबालीके खोजी बेर–बेर होयत रहल देखल गेल अछि ।
तहिना नृत्य दिस डोली सरकार, ममता पंडित, आरती, अस्मिता सहितके नृत्यक जलवा अखनो पुरान नहि भेल अछि । मिनापक धीरज ठाकुरके नृत्य निर्देशन आ आप्रवासी युवा सभक समूहद्वारा कयल गेल नृत्य लोक अखनो सीडी आ डीवीडी में देखैत रहैत छथि ।
ओना आन भाषा नेपाली, हिन्दी आ’ भोजपूरीके सेहो कार्यक्रम सब बेसी काल होइत रहैत अछि । मुदा अखन हम मात्र मिथिला आ मैथिलीक बात कय रहल छी ।
आब हम थोरे एतुका आई ब्यक्ति क बात करब जे अपन तन, मन, धनके कोनो परवाह नहि कए ई कार्यक्रम सभक आयोजनमें दिन–रात लागल रहैत आएल इतिहास रहल अछि । प्रकाश दास ‘मानस’, श्याम ठाकुर, लक्ष्मी ठाकुर, बलराम ठाकुर, देबेन्द्र शाह लगायत ब्यक्तित्वकें अगुवाक रूपमें लेल जा सकैय । हिनका सबके दोहा कÞतारमें रहल मिथिला मधेशक युवा सब सेहो अपन स्थान स् भरपूर सहयोग करैत आयल बात स्वयं बलराम ठाकुर कहैत छथि । ठाकुरके अनुसार अपन देश नेपाल आ’ ओहुमें मिथिला–मधेशक लोक सब बहुत बेसी मदति कएलाक कारणें अखनधरि ई कार्यक्रम सब सफल भ’ रहल अनुभव सुनबैत छथि ।
एहिबेर सेहो शुक्र दिन कतार मैथिलीमय होमय जा’ रहल अछि । मिथिलाञ्चलक राजधानी जनकपुरसँ पहँुचल विशिष्ठ कलाकार सभक टोली कतार पहुँच कए अभ्यासमे जुटल छथि से जानकारी टोलीमे सहभागी बहुमुखि व्यक्तित्व घनश्याम मिश्र जानकारी देने छथि । एहिबेरक टोलीमे चर्चित हाँस्यकलाकार रामनारायण ठाकुर, चर्चित मोडेल, पत्रकार एवम् उद्घोषक घनश्याम मिश्र, कुमारी रीया, कुमारी अस्मिता, चर्चित गायक सञ्जय यादव, गायिका शिवानी भगत, उद्घोषिका गायत्री मिश्रसहितके कलाकर्मीसभ सहभागी छथि ।