• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
मधेशी जिन्दावाद एल्बम विमोचन

धनुषा, ८ अगहन । मधेश आन्दोलनके १ सय १ दिन पुरा भेल अवसरमे जनकपुरमे सोम दिन एक कार्यक्रमक बिच मधेशी जिन्दावाद नामक एल्बम विमोचन कएल गेल अछि ।
संयुतm युवा संघर्ष समितिक आयोजनामे कएल गेल बिमोचन समारोहमे सभासद डा. विजय कुमार सिंह, संयुक्त लोकतान्त्रिक मोर्चा आवद्ध सदभावना पार्टीक धनुषा अध्यक्ष संजय सिंह , तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक धनुषा अध्यक्ष परमेश्वर साह , तराई मधेश सदभावना पार्टीक धनुषा अध्यक्ष रुपनारायण मण्डल , संघीय समाजवादी फोरम नेपालक धनुषा अध्यक्ष शेष नारायण यादव, मासके संयोजक सरोज मिश्र, संयुक्त युवा संघर्ष समितिक संयोजक धर्मेन्द्र साह संयुक्त रुपमे एलबमके विमोचन कएलक अछि ।
मधेश आन्दोलनमे शहादत प्राप्त कएने शहीदसभप्रति समर्पित एलबममे आन्दोलनमे उर्जा प्रदान करएबला ८ टा गीत समावेश कएल गेल अछि । जाग जाग जाग रे, मधेशी जिन्दावाद, कब कब ओलीके बोली, मधेशी देख लिया है, जाग हौ भैया मधेशी सहितक गीतसब एलबममे समावेश कएल गेल अछि ।