• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
बहत्तरि साल तेहत्तरि पाक

देवेन्द्र मिश्र
ई बहत्तरि साल तेहत्तरि पाक लगौलक
मन–घर–भूतल–देश–देशान्तर खेला कएलक
ओना तऽ पेनी छानल छल एकहत्तरिएसँ
पाप–पहाड़कें ठाढ़ कएल गेल छल भीतरसँ
भरिसक आविते साल धरा तैं देह  डोलौलक
मन–घर–भूतल–देश–देशान्तर खेला कएलक
पुरने वचनकें मानि लिअ बस से कहला पर
खड्ग–प्रचण्डक धारो हन–हन करए लगल छल
भीतर घाइल छलहे बाहरो ओ शोनितौलक
मन–घर–भूतल–देश–देशान्तर खेला कएलक
भीम–कृष्ण–योगेशक बिचकल मुह भकुआओल
रामचन्द्र केर विषम वाण अछि सदिखन तानल
चन्द्र प्रकाश आ शेर ई पुरने नाच  नचौलक
मन–घर–भूतल–देश–देशान्तर खेला कएलक
कमल–पुष्प केर मेल सुवासो गन्हा गेल अछि
स्वर्णिम ओकर भविष्यक बण्डा लिखा गेल अछि
कन्नारोहटिक मध्य ओ जगमग दीप जरौलक
जन्मक दुश्मन सदृश अछि व्यवहारो कएलक
दू टा ध्रुव स्थित शक्तिसभ कान्ह मिलौने
अप्पन पूर्वज केर पुरातन शान बढ़ौने
धोती–सुरुवाल केर मेलमे काँट ओछौलक
मन–घर–भूतल–देश–देशान्तर खेला कएलक
घा अछि कत्तओ आ ड्रेसिङ होइ कत्तओ देखू
कान छोड़ि कौआ केर पाछू दौगैत देखु
त्राहि–त्राहि कऽ उत्तर–दक्षिण दरबर देलक
ई बहत्तर साल तेहत्तरि पाक लगौलक
अप्पन घर केर लोक विभीषण बनि चुकल जँ
अपन समाङक शोनित केर अपमान करए जँ
हे दैवा ! विश्वासेकें सब चेथड़ी कएलक
ई बहत्तरि साल तेहत्तरि पाक लगौलक
(लेखक मैथिली साहित्य परिषद् राजविराजक पूर्व अध्यक्ष छथि ।)