• |
समाचार भिडियो अडियो विविध हाम्रो बारेमा
सन्दर्भः नैन्सी हत्याकाण्ड

करुणा झा
विगत किछु माससँ मिथिलाञ्चल क्षेत्रमें निरन्तर अपराधमे वृद्धि देखल जा रहल अछि । अपराध आ’ अपराधीके प्रकृति एवम् प्रवृतिस’ बुझारहल अछि जे ई सब पेशेवर अपराधी थिक जे राजनीतिक संरक्षणमें एही क्षेत्रमें अपराधके अञ्जाम द’ रहल अछि ।
सन्दर्भ नैन्सी झा हत्याकाण्डस’ पहिनेहुं बहुत अपराध दरभङ्गा, पंडौल सहित अन्य क्षेत्रमें देखबामें आयल । आब सब अपराधमें एक बात समान जे जकरा मारल गेलै बड्ड निर्मम तरीकास’ मारल गेलै । जनवरीमें एकटा हत्याकाण्डके साक्षी हमहुँ रही जाहिमे एक युवकके गर्दनि आधा काटि कए छोडि़ देल गेल रहए । नैन्सीके बलात्कार, हत्याके बाद तेजाबसँ जराओल गेल । ओहिना दरभङ्गामें एक दलित युवतीके बलात्कारके बाद हत्या कएल गेल । एखन धरि कोनो अपराधीके एहेन सजा नहि भेटल जाहिस’ कोनो दृष्टान्त होय जे आगाँ कियो एहेन अपराध करबा स डरई ।
एकर मूल कारण समाज के स्वयं अपराधी मनोवृतिमें परिवर्तित भेनाई अछि । हम सब जतेक बाइज ली मुदा एखन एकटा स्वाभाविक अपराधिक प्रवृति चलि रहल अछि, आ’ मिथिलाके हजारो युवक ओही अपराधी मनोवृति स जुड़ल छथि । ककरोप्रति घृणा उत्पन्न केनाई आ’ स्वयं दण्ड देबाक अधिकार हासिल क’ कए ओकरा दण्डित केनाई ।
सोशल मिडियाक युगमें जखन मिनटमें कोनो समाचारके वैश्विक बनायब सम्भव अछि, तहिना ककरो हिरो आ’ जीरो बनौनाई सेहो सम्भव अछि । अपराधी सबके मूल पता करू तखन सच पता लागत, के ककरा संरक्षणमें अछि आओर ओकर की उद्देश्य छै से बिना बुझने एहि तरहक अपराध पर काबू पेनाई सचमुच असम्भव अछि ।
जँ पूरा समाज इकट्ठा भ’ कए लगातार सरकार आ’ प्रशासनके घेर कए फैसलाके लेल बाध्य करत त निश्चित एहेन अपराध नहि होयत परन्तु गाम–घरक राजनीति शहरके राजनीति स’ अधिक क्रुर अछि । जमीन–जायदादके झगड़ा स’ ल कए प्रेम प्रसङ्गधरिके फैसला एखन लोक अपनहि करैत छथि । पुलिस–प्रशासनके भूमिका हमेशा स’ संदिग्ध रहल अछि । तैं सब दोष पुलिस–प्रशासन पर थोपलासँ काज नहि होमयवाला अछि ।
नैन्सी के न्याय होइ कि अन्य हत्याक जाति, धर्म, समुदायस’ उपर उठि कए एकत्रित रूपस’ लडू, बाँटल रहब त अहिना एक–एक कए मरब ।(लेखिका झा अन्तराष्ट्रीय मैथिली परिषद् नेपालक अध्यक्ष छथि ।)