होली आ हम

होली आ हम
Bwtech New Add With Software & Bull SMS
– जितेन्द्र जितु

– जितेन्द्र जितु
उइड गेल जिन्दगीके
सब रन्ग हसिते हसिते
एहनमे कि मनायब
रन्गक पर्व होलि

रन्गिन कल्पना छल
बिस्वाश छल रन्गल यौ
आशाक रन्गस जिनगिक
घैल छल भरल यौ
टुटल मुद्दा भरोसा
बिश्वाश रन्ग छोडल
उडि गेल् रन्ग आशाक
श्वेत स्वप्न बचल

नयन देखते रहिगेल
बिछुप्त भाव ह्रिद्यक
मनमे शेष बचि गेल
वितल पुरान क्षणसभ
सोचैत छि कि फ़ेर आओत
जिनगिक पुरान दिनओ
कियो घुमा फ़ेर लाओत
रन्गिन क्षण हमर ओ

दुविधामे मन अछि मिता
गाबि कोना हम होरि
एहनमे कि मनायब
रन्गक पर्व होलि

Online Saptari
Online Saptari

About The Author

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *