जागु मधेशी जागु

जागु मधेशी जागु
Bwtech New Add With Software & Bull SMS

अपरिचित मधेशी

महिनोस’ चलल आन्दोलन
कतेकोके गेल जान
आगु आन्दोलनक लेल
आव दियौं ठीकस’ धिआन
मधेशी नेतागणके भेटल पहचान
किनको दुई प्रदेश किनको स्वावलम्वन सम्मान
किनको भेट गेल स्वायत मधेश एक प्रदेश
मुदा एखनो तक नहि लागल ठेकान
आब सब मिलि कए भ’ जाउ तैआर
करु सब मिलिके संघर्ष, पएवाक लेल अधिकार
नहि त सब बेकार कहि रहल छी बार बार
संविधानके भेल संशोधन पुनर्लेखन
नहि भ सकल नामाङ्कन सिमाङ्कन
भ’ गेल प्रदेशो सरकारक स्थापन
मिटा देलक मधेशक भुगोल
आब होएत जल्दीये निर्वाचन
दासता रहिये भेल कायम
सदा बनल रहब खसके गुलाम
मधेशी नेतागणके देखु व्यवहार
सता भत्ताके लेल छोडि रहल अछि अधिकार
आब भ’ जाउ होसियार आजादीस’ माग भेटल अधिकार
भावी सन्तानके लेल करु विचार
जागु मधेशी जागु भ’ जाउ शिघ्र तैआर
कागजे पर समानुपातिक समावेसी संरचना
रहि जायत कागजे पर क्षणिक कायम
व्यवहारमे नहि भेटब स्थान
मिठाई नाम लेलास’ नहि होएत अछि मुँह मीठ
सेवाक बाद होएत अछि वास्तविक ज्ञान
आन्दोलन नहि ई अनन्त गोल चक्कर छी
अही पर दिऔं ध्यान
मिलके बनाउ इतिहास आजादीके
माँ मधेशके वास्ते करु जीवन कुर्वान
सब मिलके बनाउ मधेश महान ।

Online Saptari
Online Saptari

About The Author

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *